काठमाण्डू, २ कातिक : राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)द्वारा ‘नेपाल आ मैथिली भाषा समाचार सेवा’क शुभारम्भकँे नेपाल भाषा समुदाय आ विभिन्न सम्बन्धित संस्थासब स्वागत केलक अछि ।
बिज्ञापन
नेवा देय दबु, नेपाल भाषा एकेडमी, काठमाण्डू महानगरपालिका, भाषा आयोग, विराट नेपाल भाषा सम्मेलन, न्हूँद समारोह समिति, मंका खलःक प्रतिनिधि, सञ्चारकर्मी, पूर्वमन्त्री आ भाषा आन्दोलनक अगुवासब आई रासस कार्यालमे उपस्थित भ नेपाल भाषा समाचार सेवाक निरन्तरतालेल सहयोग आ समर्थन करबाक प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन ।
बिज्ञापन
ओ सब मातृभाषा सेवा शुरू करबाक पहल करबालेल रासस व्यवस्थापन, कर्मचारी आ सरकारकेँ धन्यवाद देलैथ । ओहि अवसरिपर ओ लोकैन राससक कार्यकारी अध्यक्ष धर्मेन्द्र झा आ महाप्रबन्धक सिद्धराज राईकेँ खादा पहिरा सम्मानित सेहो केने रहैथ ।
ओहि अवसरपर नेपाली कांग्रेसक नेता आ पूर्व मन्त्री भीमसेनदस प्रधान समावेशी नेपालक निर्माणक लेल सब समुदायक भाषा, संस्कृति आदि पक्षकेँ समावेश करबाक बातपर जोड देलैन ।
बिज्ञापन
पूर्व राज्यमन्त्री दिलीप महर्जन रासससँ नेपाल भाषाक समाचार प्रारम्भ हएब खुशीक बात अइछ से कहैत एकरा उत्कृष्ट बनेबालेल सब गोटेक सहयोग आ मेहनत आवश्यक रहल बतौलैन ।
राससक पूर्व महाप्रबन्धक मल्ल के सुन्दर नेपाल भाषा समुदायक भावनाक प्रतिनिधित्व करैत रासस नेपाल भाषामे समाचार सेवा प्रारम्भ केलक अइछ, ई प्रसन्नताक बात अइछ कहलैन । ओ एकर स्थिरता, निरन्तरता, गुणवत्ता आ विकासक कामना केलैन ।
’नेवाः ऑनलाइन समाचार’ के प्रकाशक तथा संपादक सुजीव बज्राचार्य नेपाली भाषाक ऑनलाइन, अखबार, टेलिभिजन आ रेडियालगायतक समाचार प्रयोगकर्ताक सँग अन्तरक्रिया क रासस एहि सेवाकेँ परिमार्जन करैत आगाँ बढए से सुझाव देलैन ।
कार्यक्रममे काठमाण्डू महानगरपालिकाक प्रवक्ता नवीन मानन्धर राससद्वारा प्रारम्भ कएल गेल नेपाल भाषाक समाचार सेवाक निरन्तरताके लेल महानगरपालिका सहयोग करबालेल प्रतिबद्ध अइछ कहलैन ।
एहि प्रकारेँ भाषा आयोगक सदस्य सुरेश किरण, नेवा देय दबुक अध्यक्ष पवित्र बज्राचार्य, प्रा डा नरेशमान बज्राचार्य, महेन्द्रगोपाल कर्माचार्य, ज्ञानराम श्रेष्ठ, उमेश स्थापित एवं भाषा आन्दोलन कार्यकर्ता डॉ. पुष्पराज राजाकर्णिकारलगायतक व्यक्तित्व सेहो एहि सेवाक निरन्तरता आ प्रभावकारिताक सन्दर्भमे विभिन्न सुझाव देने रहैथ ।
प्रत्युत्तरमे अध्यक्ष झा रासस एहि सेवा सञ्चालनक लेल विगत दू वर्षसँ तैयारी क रहल बात बतौलैन । ओ ई सेवा सञ्चालनक लेल सरकार आ सम्बद्ध भाषाभाषीक निरन्तरक सहयोग महत्वपूर्ण रहल बात बतबैत एकरालेल सरकारसँ आर्थिक सहयोग प्राप्त भेल जानकारी देलैन । अध्यक्ष झा एहि सेवाक दीर्घ सञ्चालनक सुनिश्चिततालेल राससमे मातृभाषा समाचार सेवा सञ्चालन कोष स्थापनामे सहयोग करबालेल आव्हान केलैन । हुनकर कहब छलैन, एहि कार्यमे स्थानीय तहसबहक सहयोगी भूमिका अपेक्षित अइछ । अध्यक्ष झा कहलैन, मातृभाषा समाचार सेवा निःशुल्क वितरण कएल जेबाक बातपर व्यवस्थापन विचार क रहल अइछ । महाप्रबन्धक राई रासस अपनाकेँ अधिकसँ अधिक समुदायसँ जोडबालेल प्रयत्नरत रहल बात बतौलैन । हुनकर कहब छलैन, एहिमे सम्बद्ध भाषाभाषकि सहयोग र सक्रियता अपरिहार्य अइछ ।
रासस नेपालगंज उपमहानगरपालिकाक सहयोगसँ गत वर्षक पुस २३ गतेसँ ‘अवधि’ भाषाक माध्यमसँ मातृभाषा समाचार सेवाक प्रारम्भ केने रहए । एहि क्रममे रासस पछिला सेवाक रुपमे आसिन २९ गतेसँ परीक्षणक रुपमे नेपाल आ मैथिली भाषामे समाचार सेवा प्रारम्भ केलक अइछ । एहि दूनु सेवाक औपचारिक शुभारम्भ कातिक ४ गते सञ्चार तथा सूचना प्रविधिमन्त्री पृथ्वीसुब्बा गुरुङद्वारा हेबाक नियार अइछ । एहिसँ पहिने रासस वितलाहा भादव १७ गतेसँ निरन्तर २४ घण्टा नेपाली समाचार सेवा सञ्चालन क रहल अइछ । इहो सेवाक शुभारम्भ मन्त्री गुरुङद्वारा भेल रहए ।
–––






